मैथिली केँ साहित्यकार कांचीनाथ झा किरण केँ 111 वीं जयंती मनाओल गेल

दरभंगा। 02 दिसम्बर। किरण मैथिली साहित्य शोध संस्थान के तत्वावधान म' मैथिली केँ कवि स्व. कांचीनाथ झा किरण केँ 111 वीं जयंती कइलन गुरुवार दिन हुनक पैतृक गाम उजान (धर्मपुर) म' मनाओल गेल। कार्यक्रम केँ प्रथम सत्र के उदघाटन डॉ. किशोरनाथ झा केलन्हि। राष्ट्रपति पुरस्कार सँ सम्मानित डॉ. राम जी ठाकुर केर अध्यक्षता म' आयोजित एहि कार्यक्रम म' बतौर मुख्य अतिथि डॉ.रामदेव झा एवं विशिष्ट अतिथि डॉ. फूलचन्द्र मिश्र रमण, डा. जगदीश झा, डॉ. खुशीलाल झा, अरविन्द ठाकुर सहित अन्य विद्वान उपस्थित छलाह। 

वक्ता लोकनि स्व. किरण क' मैथिली साहित्य केर पुरोधा बतौलन्हि। वक्ता लोकनि कहलनि कि किरण जी अप्पन लेखनी सँ जीवन भरी मैथिली क' उंचाई तक पहुंचेबा आर ऐहिक प्रचार प्रसार लेल लोग सभ क' सेहो प्रेरित केलन्हि। किरण जी वास्तविक रूप म' कर्मयोगी छलाह। ऐहिक पहचान हुनक साहित्यिक रचना सभ सँ स्पष्ट होयत अछि। कार्यक्रम केँ आरंभ रीत एवं अंजलि के गोसाउनिक गीत सँ भेल। स्वागत भाषण बलभद्र झा एवं सचालन डा.सतीरमण झा केलन्हि।

दोसर सत्र केँ कार्यक्रम म' आयोजित कवि गोष्ठी केर अध्यक्षता रामचन्द्र मिश्र मधुकर जी केलन्हि। एहिमें ईशनाथ झा, आनंद मोहन झा, श्रीपति सिंह, मलय नाथ मंडन, मोहित सिंह, राम प्रीत पासवान, विभूति नाथ झा, शंकरदेव झा एवं देवकान्त मिश्र जी काव्यपाठ केलन्हि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ