"भारत बंद नहि होयत" नारा संग युवा उतरल सड़क पर

पटना। 28 नवम्बर। केंद्र सरकार केर नोट बंदी के खिलाफ आय सोमवार क' प्रस्तावित भारत बंद केर बहुत विरोध भेल। राजधानी म' कैल्ह विभिन्न संगठन सभ बंद केर विरोध म' मोर्चा निकाली प्रदर्शन केलन्हि, जाहि म' युवा लोकनि बढ़ी - चढ़ी क' भाग लेलन्हि।

पटना म' भारत बंद केँ विरोध म' बहुत संख्या म' युवा लोकनि शामिल भेला। सभ कियो अलग - अलग नारा लिखल बैनर-पोस्टर हाथ म' लेना छलाह। जाहि केर माध्यम सँ केंद्र सरकार के नोट बंदी केर फैसला क' सही डेग बतबैत हुनका धन्यवाद कहल गेलन्हि, तेँ कुनु पोस्टर म' विरोध क' रहल नेता लोकनि पर हमला कायल गेलन्हि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ