दरभंगा। 29 नवम्बर। केवटी थाना क्षेत्र केँ छतवन बाजार स्थित उत्तर बिहार ग्रामीण बैंक म' आय मंगलवार दिन बैंकक ग्राहक लोकनिक तामस सातम आसमान पर चढ़ी गेलन्हि। ग्राहक सभक मानी तेँ लगभग एक सप्ताह सँ उक्त बैंक म' पहिने सँ जमा पैसा केँ नहिये निकासी कायल जे रहल अछि आन नहिये जमा लेल जे रहल अछि, जाहिक कारण भूखमरी जेहेन स्थिति पैदा भ' गेल अछि।
बैंक खुजते ग्राहक जखन पैसा केँ निकासी लेल कतार लगा रहल छला कि एतबे म' बैंक के क्रमि पैसा खत्म होयबाक बात कहलनि। ई सुनते सप्ताह भरी सँ पैसा निकासी सँ वंचित ग्राहक सभक तामस फूईट पड़लैन्ह। मौक़ा पर बैंक केँ कर्मचारि सभ क' बैंक सँ बाहर करि लोग सभ बैंक म'ताला लगा देलन्हि। जमा भेल भीड़ बैंकक गेट केँ सामना सरकार केँ खिलाफ व बैंक केँ विरोध म' खूब नाराबाजी सेहो केलन्हि।
एहि मामला लेल मौका पर पहुंचल पुलिस सेहो बैंक के ग्राहक सभ क' बुझेबाक कोशिश केलन्हि मुदा हुनकर कियो नहि सुनलन्हि, जाहि कारण पुलिस क' मौका सँ लौटा पड़लन्हि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।