पुलिसिया बर्बरता पूर्ण रवैया के बादो अडिग रहला मिथिलाक लाल सभ



दिल्ली। 13 नवम्बर। केंद्र सरकार मैथिलीक प्रति जे वादा खिलाफी केलैन्ह ताहि के विरोध मे आई बीरबल यादव  के अगुआई मे मैथिल सभ भारत के वित्तमंत्री के सरकारी आवास पर सांकेतिक प्रदर्शन आ ज्ञापन हेतु एकट्ठा भेल छलाह।

मंत्री जी के आवास पर नै रहलाक कारने ज्ञापन आधिकारिक तौर पर नै लेल गेल ताहि के बाद उपस्थित मैथिल सभ नारेबाजी करै लगला आ विरोध जतेला जाहि के बाद भारी संख्या मे पुलिस पर सेनानी सभ के घेर लेलक। हल्ला नै करबाक आ शांतिपूर्वक ओहिठाम सँ चलि जेबाक बात कहि पुलिस सेनानी सभ के अनेकों आरोप लगा भीतर करबाक धमकी सेहो देबै लागल। 
धमकी के बादो मिथिलाक लाल सभ अडिग रहला आ विरोध के बाद पीएमओ दिस विदा भेला जाहि के बाद पुलिस समस्त सेनानी के अलग अलग गाडी गाडी में हिरासत मे लेलक आ अलग अलग मेट्रो टीसन पर छोड़ि देलक।
पुलिस सँ सेनानी सभक बहुत बात पर बहसबाजी भेल जाहि के बाद आपसी सहमति सँ मंगलदीन आबि पुनः पीएमओ आ वित्रमंत्री के ज्ञापन देबाक बात पर सेनानी सभ ओहिठाम  सँ वापिस भेला।
बीरबल यादव के अनुसार, "इ एकटा क्रांति के शुरुआत अछि आ लक्ष्य प्राप्ति धैरि हर स्तर के संघर्ष हेतु सेनानी सभ तैयार छथि। मुख्य मुद्दा मिथिलाराज्य अछि मुदा मैथिलीक उपेक्षा सेहो बर्दास्त नै करब"
अहि विरोध प्रदर्शन मे, बीरबल यादव के अलावा रंजीत लाल दास, सुनिल आर्य, कुमार विकास, रोहित यादव, बैजू बावरा, मोहनराज, अमेलश मण्डल, अमरेंद्र कामत, धर्मदेब यादव, अजीत यादव, सत्रुघ्न यादव, ललित यादव, चन्दर यादव, आ सीताराम मण्डल शामिल छलाह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ