बैंक क़ लाइन में दबला वृद्ध इलाज के दौरान मौत


दरभंगा।  15 नवम्बर।  पुरना नोट बदला लेल जमा भेल भीड़ में सोम दिन एक बुजुर्ग के प्राण चली गेल , घटना दरभंगाक' अलीनगर स्थित पंजाब नेशनल बैंक के अछि।  प्राप्त जानकारी के अनुसार रैव दिन पुरना नोट बदला आ जमा करे लेल बहुत भीड़ रहे एही दौरान अफरातफरी में एक बुजुर्ग दबी गेला आ गंभीर रूप सs घायल भेला।  बैसि चोट के कारन मुँह सs सोणित बहैत छल, एही के देखैत तत्काल पीएचसी में भर्ती कैल गेल। सोम दिन इलाज के दौरान ही हुनक मृत्यु भ गेल।  मृत व्यक्ति किशन राम के गाम नन्हकार छैन।      

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ