पूर्व मंत्री अमरेन्द्र मिश्र केर निधन

सहरसा। 19 नवम्बर। राज्य सरकार म' तीन-तीन बेर मंत्री रहल अमरेन्द्र मिश्र जीक आय निधन भ' गेलन्हि। सुपौल जिलाके राघोपुर विधानसभा क्षेत्र सँ पांच बेर विधायक रही चुकल स्व. मिश्र केर बिहारक राजनीति म' काफी अहम कद छलैन्ह।

स्व. मिश्र केँ पूरा परिवारक बिहार केर राजनीति म' महत्वपूर्ण योगदान रहल अछि।  स्व. मिश्र के पिता स्व. राजेंद्र मिश्र आजादी के बाद बिहार प्रदेश कांग्रेस कमेटी के पहिल अध्यक्ष बनल छलाह। एहि परिवारक शिक्षा केर विस्तार म' सेहो बहुत योगदान रहल अछि। एहि परिवारक नाम पर कोसी म' कैको शिक्षण संस्थान चैल रहल अछि। मिश्र जीक निधन पर पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्रा शोक व्यक्त केलन्हि। ओतहि पूर्व विधायक डॉ. आलोक रंजन, संजीव झा, किशोर कुमार मुन्ना, कांग्रेस पार्टी के जिलाध्यक्ष प्रो. विद्यानंद मिश्र, एनएसयूआई के जिला अध्यक्ष सुदीप कुमार सुमन आर जाप प्रवक्ता शैलेंद्र शेखर आदि पूर्व मंत्री के निधन पर दुख व्यक्त केलन्हि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ