गोपालगंज : कटाव सँ पूरा तरहे गंडक म' समा गेल बरसों पुराना शिव मंदिर

गोपालगंज। 18 नवम्बर। गोपालगंज जिला के कुचायकोट प्रखंड म' गंडक नदी के कटाव सँ विश्वंभरपुर गामक शिव मंदिर कैल्ह गुरुवार क' पूरा तरहे धराशायी भ' नदी म' प्रवाहित भ' गेल। ई मंदिर बरसों पुरान आर गामक  इकलौता शिवमंदिर छल। मंदिर ताश के पत्ता जोका पूरा तरहे ढही गेल। कटाव बढ़ला सँ लोग सभ म' दहशत केर माहौल अछि।

गोपालगंज जिला के कुचायकोट प्रखंड म' गंडक केर कहर कैको मास से जारी अछि। कटाव केर कारण सँ लोग अप्पन पुरनका घर तोड़ी रहल छैथ। कटाव के करण सँ विश्वंभरपुर गामक लोग पलायन क' रहल छैथ।  जे लोग गाम म' बचल छैथ ओ अप्पन पक्का केर मकान तोईड़ रहल छैथ। ग्रामीण सभक शिकायत छैन्ह कि कटाव रोकबाक लेल जिला प्रशासन द्वारा एखन धरी कुनु कारगर डेग नहि उठाओल गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ