BPSC : फॉर्म नहि भरी पेलहुँ तेँ एखनहुँ अछि मौका

पटना। 01 नवम्बर। बीपीएससी  केँ तैयारी करै बला ओहि छात्र सभक लेल राहतक खबर अछि जे बेसी मारा-मारी केर कारण ऑनलाइन फॉर्म नहि भरी पेलाह। बीपीएससी सर्वर डाउन होयबाक समस्या क' गंभीरता सँ लैत  फॉर्म भरबाक निर्धारित तिथि क' बढ़ा क' 14 नवंबर क' देना अछि।  

ओतहि बीपीएससी 60वीं सँ 62वीं परीक्षा म' शामिल होयबाक लेल  ऑनलाइन रजिस्ट्रेशन केर तिथि 10 दिन बढ़ा देना अछि। आब 10 नवंबर तक रजिस्ट्रेशन होयत। पहिने 31 अक्टूबर अंतिम तिथि छल।

ऑनलाइन फॉर्म भरबाक तिथि सेहो 3 नवंबर सँ बढ़ा क' 14 नवंबर कायल गेल अछि। सर्वर डाउन होयबाक कारण सँ हजारों छात्र फॉर्म नहि भैर पेना छलाह। आयोग के सचिव प्रभात कुमार सिन्हा कहला कि इ अंतिम मौका अछि। ऐहिक बाद आवेदन केर तिथि नहि बढाओल जायत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने