दिल्ली। 09 नवम्बर। भ्रष्टाचार आर जाली नोट पर लगाम लगेबाक मकसद सँ पीएम नरेंद्र मोदी कैल्ह मंगलवार दिन 1000 आर 500 टक्का के मौजूदा करंसी नोट क' 8 नवंबर राति 12 बजे सँ बंद करबाक ऐलान केलन्हि। राष्ट्र क' संबोधित करैत पीएम मोदी कहला कि 500 आर 1000 टक्का के करंसी नोट लीगल टेंडर नोट (यानी कानूनी रूप से मान्य) नहि रहत। ऐहिक अलावा आन सभ नोट आर सिक्का मान्य होयत। पीएम मोदी कहला कि हम जाली नोट आर करप्शन के खिलाफ जे जंग लड़ी रहल छी, एहि से ओय लड़ाई क' ताकत भेटत।
8 नवंबर सँ अमान्य ठहराओल गेल 500 आर 1000 टक्का के नोट क' लोग 10 नवंबर से 30 दिसंबर 2016 धरी बैंक या फेर डाकघर के खाता म' जमा करा सकैत छैथ। पीएम मोदी कहल कि "एही सभ नोट क' जमा करेबाक लेल अपने लग करीब 50 दिन केर समय अछि, एहि स्थिति म' अपने क' कुनु तरहक अफरातफरी केर जरूरत नहि अछि। अपनेक धनराशि अपनहिक होयत आर अपने क' कुनु तरहक चिंता करबाक जरूरत नहि अछि।"

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।