दहेज़ प्रथा पर आधारित निर्माता निशिकांत झा केँ फ़िल्म ‘आखिर कब तक’ 14 अक्टूबर क' रिलीज होयत

दिल्ली। 03 अक्टूबर। पी. एन. जे. फिल्मस कृत फिल्म ‘आखिर कब तक’ केर सितारा विनय सिंह, मनीषा सिंह फिल्म केर निर्माता निशिकांत झा एवं निर्देशक मिथिलेश अविनाश दिल्ली पहुँच अप्पन फ़िल्म केर प्रमोशन केलनि।

अप्पन एहि फिल्म केर बारे म' अभिनेत्री मनीषा सिंह कहली कि दहेज प्रथा केर विरुद्ध आवाज उठाबय बला इ फिल्म कैको नव संदर्भ ल' क' एक  संदेश दैत अछि।

उत्तर आर पूर्वोत्तर भारत म' दहेज एक उत्पीड़न केर रूप ल' चुकल अछि।    एक साफ-सुतरा आर समाज क' दिशा दै बला इ एक एहेन फिल्म अछि, जाहि मेँ देखाओल गेल अछि कि कोना दहेज केर समस्या कुछ लोग सभक लेल हथियार बैन गेल अछि। एहि फ़िल्म म' वर-वधू दुनु क' ल' क' एक न्याय संगत समस्या केर कोशिश कायल गेल अछि। अभिनेत्री मनीषा सिंह आगा कहली कि हम अप्पन पिता जी सँ साफ शब्द म' कही देना छी की हमरा बियाह म' हमर ससुराल बला क' दहेज बिल्कुल नै देब।

फिल्म निर्देशक मिथिलेश अविनाश कहला कि एहि फिल्म केर निर्माण हम पाई कमेबाक लेल नै केना छी,हमर मकसद दहेज केर खिलाफ समाज क' जागरूक करब अछि। एहि खतरनाक सामाजिक बुराई क' खत्म करबाक दिशा म' अगर हमर फिल्म कनिको टा योगदान देलन्हि, तेँ हमर फिल्म निर्माण करबाक मकसद पूरा भ' जायत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ