मधुबनी : एसडीओ आर डीएसपी रिश्वत लैत गिरफ्तार

मधुबनी। 28 अक्टूबर। विजिलेंस जांच टीम कैल्ह गुरुवार दिन मधुबनी जिला केँ जयनगर के अनुमंडल पदाधिकारी (एसडीओ) आर पुलिस उपाधीक्षक (डीएसपी) क' रिश्वत लैत गिरफ्तार केलन्हि। प्राप्त सुचना केर मुताबिक़ ब्यूरो टीम रिश्वत लेबाक आरोप म' एसडीओ गुलाम मुस्तफा अंसारी आर डीएसपी चंदन पुरी क' हुनकर आवास से गिरफ्तार केलन्हि। गिरफ्तारी के बाद दुनु क' निगरानी के टीम अपना संग पटना ल' गेलन्हि।

मधुबनी केँ एसपी दीपक बरनवाल ऐहिक पुष्टि करैत कहला कि 'निगरानी के  टीम एखन धरी हमरा विस्तृत जानकारी नहि देना अछि। लेकिन दुनु  अधिकारी ट्रैप कायल गेल छैथ।' पुलिस केर मुताबिक, जयनगर केँ व्यवसायी रामवृक्ष साह सँ फटाका केँ खेपक लेल दुनु अधिकारि सँ लेन-देन के बात भेल छल। एहि क्रम म' निगरानी के टीम एसडीओ क' एक लाख टक्का आर डीएसपी क' 50 हजार टक्का लैत गिरफ्तार केलन्हि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ