सुपौल। 20 अक्टूबर। किशनपुर प्रखंड अंतर्गत किशनपुर दक्षिण पंचायत के फुलकाहा गाम लग 50 किलोमीटर पर स्थित मुख्य कोसी तटबंध म' कैको दिन सँ जारी कटाव स' आसपास केर गाम वासि सभ क' आशंका सता रहल छैन्ह।
मामला केर गंभीरता क' देखैत जिलाधिकारी बैद्यनाथ यादव एवं एसपी डा. कुमार ऐकले कटाव केर मुआयना करैत विभागीय अभियंता क' खूब फटकारलन्हि संगहि कटाव क' अविलंब रोकथाम करबाक आदेश देलन्हि।
एहि अवसर पर विभागीय अभियंता मुख्य तटबंध म' जारी कटाव क' रोकैत युद्ध स्तर पर कार्य प्रारंभ क' देलन्हि। कार्यपालक अभियंता केर कहब छैन्ह कि जारी कटाव पर युद्ध स्तर पर चलाओल जे रहल काज के पश्चात मुख्य तटबंध पूरा तरह सुरक्षित अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।