पटना। 18 अक्टूबर। शास्त्रीनगर थाना क्षेत्र स्थित PHD ग्राउंड सँ अतिक्रमण हटेबाक लेल पहुँचल पुलिसकर्मि क' भारी विरोधक सामना करे पड़लन्हि। एहि केँ बाद भेल धरना-प्रदर्शन केर दौरान पुलिस लाठीचार्ज केलन्हि जाहि मेँ एक बच्चा केँ घायल होयबाक खबर अछि।
प्राप्त जानकारी केर अनुसार अतिक्रमण हाटेबा सँ आक्रोशित स्थानीय लोग सभ पहिने तेँ बेली रोड क' जाम क' देलन्हि। फेर सड़क पर आगजनी करि प्रदर्शन केलन्हि।
प्रदर्शन क' रहल लोग पर पुलिस लाठीचार्ज केलन्हि जाहि सँ इलाका म' अफरा तफरी मची गेल। लाठीचार्ज केँ बाद जखन भीड़ हटल तखन यातायात सुचारू कायल गेल।
एहि संबंध म' स्थानीय लोग सभक कहब छैन्ह कि ओ कैको बरख से एहिठाम रही रहल छैथ। लेकिन पुलिस बिना कुनु नोटिस देना हुनका सभ क' हटेबाक लेल आइब गेलन्हि। ओम्हर स्थानीय लोग सभक अधिवक्ता केर कहब छैन्ह कि जगह खाली करेबाक लेल छह माह पूर्व नोटिस आयल छल मुदा इ मामला कोर्ट म' लंबित छैक। आगा ओ कहला कि बिना कुनु पूर्व सुचना के आय अचानक पुलिस पहुँच अतिक्रमण हटाबे लगलन्हि। इ कोर्ट केर अपमान थीक।
पुलिस एहि मामला मेँ छह लोग क' हिरासत म' लेलन्हि जाहि म'तीन महिला एहो शामिल छथि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।