बिहार सरकार केँ कला एवं संस्कृति विभाग द्वारा "कला उत्सव - 2016" केँ आयोजन भेल

पटना। 22 अक्टूबर।  पटना केँ प्रेमचंद रंगशाला म' आय शनिवार दिन कला केर विविध रंग देखबाक लेल भेटल। बिहार सरकार के कला एवं संस्कृति विभाग दिस सँ आयोजित ‘कला उत्सव’ 2016 कार्यक्रम म' लोग नृत्य, लोग गीत, नाट्य कला आर दृश्य कला केर बेहतरीन प्रस्तुति लोग सभक ह्रदय जीत लेलन्हि। पटना केँ राजकीय कन्या उच्च विद्यालय, बांकीपुर म' 21-22 अक्टूबर क' ‘कला उत्सव’ 2016 के लेल राज्य स्तरीय प्रतियोगिता केर आयोजन कायल गेल छल। जाहि म' बिहार के 9 प्रमंडल  के प्रतिभागि सभ भाग लेलन्हि। ओतहि सितंबर 2016 म' जिला स्तरीय प्रतियोगिता केर आयोजन कायल गेल छल। जाहि म' चयनित प्रतिभागि सभ  प्रमंडल स्तर प्रतियोगिता म' भाग लेलन्हि।

एहि तरहक राज्यस्तरीय प्रतिगोगिता केर उद्देश्य देशक पारंपरिक कला सभ क' प्रोमोट करबाक अछि।
आयोजक सभक अनुसार आय हमरा सभक कैको पारंपरिक लोक कला लुप्त होयबाक कगार पर अछि। आब  धीरे-धीरे हमरा सभक कला के लोकप्रियता कम भ' रहल अछि। ऐना म' एहि तरहक प्रतियोगिता केर माध्यम सँ युवा लोकनि क' कला क्षेत्र म' जोड़बाक प्रयाश कायल जे रहल अछि।

राज्य स्तर पर चयनित प्रतिभागी 15 सँ 19 दिसंबर तक होमै बाला राष्ट्रीय कला उत्सव म' सेहो भाग लेथिन। एहि उत्सव केर आयोजन 2015 सँ कायल जे रहल अछि। सही बेर सभ सँ पहिने सितंबर म' जिला स्तरीय प्रतियोगिता केर आयोजन कायल गेल छल। ओहि के  बाद जिला सँ चयनित प्रतिभागि सभ क' चुनी राज्य के 9 प्रमंड के बीच प्रतियोगिता कराओल गेल।  प्रमंडल स्तर पर चयनित प्रतिभागि सभ राज्य स्तर प्रतियोगिता म' हिस्सा लेलन्हि।पूरे बिहार सँ एहि राज्य स्तरीय प्रतियोगिता म' करीब 400 प्रतिभागी शामिल भेल छल। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ