सहरसा : बघवा गाम क' आदर्श गाम बनेबाक लेल युवा लोकनि द्वारा एक नीक डेग उठाओल गेल

सहरसा। 28 अक्टूबर। बघवा गाम क' आदर्श गाम बनेबाक लेल बघवा केँ युवा सभ ख़ुदक पहल करैत बघवा केँ विकासक संकल्प लेलन्हि। सहरसा जिला केँ एहि गाम बघवा केँ युवा सभ किछ दिन पहिने गामक प्रमुख समस्या आर ओकर निवारण लेल ऑनलाइन मीटिंग केलन्हि। बघवा केँ युवा गुड्डू कुमार झा आर शिशिर राय केर अध्यक्षता म' व्हाट्स एप पर भेल अपना तरह केँ अनौखा मीटिंग छल, जाहि मीटिंग म' लगभक १०० सँ बेसी गामक वशिष्ठ लोकनि, व्यवसायी वर्ग एवं युवा वर्ग एक संग ऑनलाइन रही बघवा केँ प्रमुख समस्या आर ओकर निवारण कोना हुवे एहि पर चर्चा केलन्हि।

ऑनलाइन मीटिंग म' उपस्थि लोकनि सभ सँ पहिने बघवा केँ प्रमुख समस्या चिकित्सा, उच्च शिक्षा, विजली, सिचाई व्यवस्था, सफाई अभियान, नारी सम्मान आदि पर अप्पन - अप्पन पक्ष राखलनि। जाहि पर सर्वसम्मति सँ इ विचार भेल कि जाहि समस्या केर समाधान सभ गामवासी मिल खुद क' सकैत छी, पहिने ओकरे कायल जाय, जाहि समस्या केर समाधान लेल सरकारी सहयोग केर जरुरत होयत ओहि लेल सभ ग्रामीण एकजुट भ' सरकार सँ मांग करब। ख़ुदक सहयोग सँ होमै बला समस्या केर समाधान लेल निर्णय कायल गेल की सभ युवा मिल सप्ताह म' २ घंटा सफाई अभियान चला लोग सभ क' शिक्षित करबाक, स्वच्छता रखबाक, नारी सम्मान करबाक एवं एकता बढेबाक पहल कायल जाय।

एहि अनौखा व्हाट्स एप मीटिंग म' बघवा के युवा सभ बढ़ी - चढ़ी केँ भाग लेलाह। एहि सँ पहिने गुड्डू कुमार झा आर शिशिर राय केर अगुवाई म' बघवा के युवा सभ मिल बघवा विकास मंच नाम सँ एक अभियान शुरू करि गरीब बच्चा सभ क'  निःशुल्क शिक्षा मुहैया करेबाक संकल्प लेना छल, जाहिक अंतर्गत गरीब बच्चा सभक स्कूल फीस भरबाक लेल गेल छल।

अपने क' बता दी कि बघवा विकास अभियान केर अध्यक्षता क' रहल गुड्डू कुमार झा आर शिशिर राय एहि सँ पहिने बघवा गामक क' ऑनलाइन वेब पोर्टल सँ जोरलन्हि। बघवा सहरसा जिलाक पहिल गाम अछि जाहि गाम केँ अप्पन ख़ुदक वेब पोर्टल अछि।  बघवा गाम केँ  www.bvmbaghwa.co.in  के नाम सँ अप्पन वेबसाइट अछि, जाहि पर दुनिया भरिक लोग लेल बघवा सँ सम्बंधित सम्पूर्ण जानकारी ऑनलाइन उपलब्ध कराओल गेल अछि।

एहि तरह सँ समाज सेवा लेल युवा वर्गक आगू एनाय सराहनीय अछि।  एहि प्रकारक उठाओल डेग सँ समाज क' नव दिशा भेटत आर हर बरख  बघवा के कैको युवा अप्पन कठोर मेहनत के बल पर एक नव मंजिल प्राप्त करता संगहि आबै बला पीढ़ीक लेल आदर्श बनता। ओ अप्पन परिवार आदि के' प्रतिष्ठा बढेबाक संगहि बघवा गामक नाम सेहो रोशन करता।

बघवा के माटी कर्मठ एवं बुद्धिमत्तापूर्ण उर्वरक सँ पटल अछि। आवश्यकता अछि तेँ सिर्फ अपना आप क' बुझबाक जे कर्तव्य-मार्ग पर मजबूत इच्छा-शक्ति संग आगू कोना बढ़ल जाय। बघवा गाम क' आदर्श गाम बनेबाक लेल युवा लोकनि द्वारा उठाओल डेग क' हम्मर सलाम।

__भारत भूषण राय

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ