पटनाक बकरा बजार म' कुर्बानी केँ लेल हजारो टक्का म' बिक रहल अछि सलमान आर शाहरूख

पटना। 10 सितंबर। बकरीद पाबनि लेल बेली रोड स्थित बकराक बजार रंग-बिरंगक आर कैको नस्ल केँ बकरा सँ सजल अछि। एहिठाम बेचबाक लेल आनल गेल बकरा मेँ ककरो नाम सलमान अछि तेँ ककरो शाहरूख नाम देल गेल अछि। जहिना - जहिना बकरीद केँ पाबनि नजदीक आइब रहल अछि बकरा खरीदबाक लेल लोग सभक भीड़ उमैड़ रहल अछि।

बजार म' पांच हजार सँ ल'केँ एक लाख टक्का तक के बकरा बिक रहल अछि। लोग सभ किनतो छैथ। यूपी के बलिया निवासी बकरा व्यापारी इकबाल फरीदी कहला कि सब्जी बाग निवासी पप्पू खां हमर पाँच बकरा पाँच लाख पचीस हजार मेँ किनला। ओतहिये  बलिया के दाउद अंसारी केँ एक बकरा नब्बे हजार टक्का मेँ बिकलनि।

बिहारक सभ जिला केँ संगहि यूपी, झारखंड आर पश्चिम बंगाल आदि पड़ोसी राज्य सभ सँ व्यापारी बकरा बेचबाक लेल बेली रोड स्थित बकराक बजार आयल छैथ।

फुलवारीशरीफ निवासी मो अखलाक अहमद कहला कि बकरा सभक दाम बहुत बेसी अछि। मुदा कुर्बानी करब फर्ज अछि। महग या सस्ता बकरा तेँ किनइये परत। खगौल निवासी नवाब आलम अधिवक्ता कहला कि बकरा केँ बाजार मिलाजुला क' ठीक अछि। फेडरल कॉलोनी निवासी मो. आमीर कहला कि आय बकरा के दाम बुझबाक लेल आयल छी, बाद म' कीनब।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ