दिल्ली। 15 सितंबर। बाहुबली नेता आर आरजेडी केँ पूर्व सासंद मोहम्मद शहाबुद्दीन के 11 साल बाद जेल सँ रिहाई के बाद सँ लगातार बिहार सरकार आर राज्य के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर राज्य के बीजेपी संगे - संग कैको राष्ट्रीय दल केँ नेता सभ निरंतर हमला क' रहल छैन्ह।
ताजा हमला बीजेपी के सांसद आर बॉलीवुड एक्टर परेश रावल केलन्हि। परेश रावल आरजेडी के बाहुबली नेता आर पूर्व सांसद मो. शहाबुद्दीन केर रिहाई के लेल राज्य सरकार क' आड़े हाथ लेलन्हि आर सीधा निशाना नीतीश कुमार पर लगेलन्हि। परेश रावल एक ट्वीट केर माध्यम सँ कहलनि कि 'जाहि राज्य केँ CM लेल इशरत जहां बेटी समान होय, ओहिठाम शहाबुद्दीन केँ खुला घुमब आम बात अछि'
उल्लेखनीय अछि कि आतंकी संगठन लश्कर ए तैयबा के लेल कथित तौर पर काज कराइ बाली इशरत जहां क' गुजरात म' एनकाउंटर क देल गेल छलनी। एहि एनकाउंटर क' बहुत लोग फर्जी कहलनि आर कैको बरख सँ एहि मामला के जांच चैल रहल अछि। देश केर आईबी इशरत जहां क' आतंकी घोसित केलनि।
राज्य म' वर्तमान मे जेडीयू आर लालू प्रसाद यादव केँ राष्ट्रीय जनता दल (आरजेडी) केर गठबंधन सरकार अछि। आरोप अछि कि शहाबुद्दीन केँ रिहाई लेल रास्ता आसान करबाक नीयत सँ बिहार सरकार एहि मामला के जांच समय पर पूरी नै केलन्हि आर नहिये पर चार्जशीट दायर केलन्हि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।