नई दिल्ली : 24 अगस्त : आहा सब इ जानि कs हैरान भ जाएब कि अपन 56 इंच के सीना के दावा करे वाला प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कs सीना असल में 50 इंच अछि. इ बात बाबासाहब भीमराव अंबेडकर यूनिवर्सिटी के अधिकारियों सs पता चलल अछि .
दरअसल पीएम मोदी शुक्रवार के एही यूनिवर्सिटी के दीक्षांत समारोह में हिस्सा लेबए लेल जैता, एहिठाम के अधिकारी हुनका लेल एक खास अचकन डिजाइन करवा रहल छैथ. जाहिर सन बात अछि कि एही के लेल पीएम के नाप कs जरूरत पड़ल . टेलर के देल नाप में हुनकर सीना 50 इंच कs बतायल गैला .
यूनिवर्सिटी के अधिकारियों एक अंग्रेजी अखबार के कहला कि ओ मोदी कs नाप जान के लेल पीएमओ सs संपर्क कैने छलैथ, आर एक ऑफिसर कहला कि मोदीक सीना 50 इंच अछि जबकि कन्हा कs साइज 21 इंच अछि .
दीक्षांत समारोह के खास मौका के लेल यूनिवर्सिटी दिल्ली में एक टेलर सs पीएम के लेल एक गोल्डन अचकन सिलवा रहल अछि .
एहिठाम स आएल अछि "56 इंच" सीना
आहा सब के बता दि कि लोकसभा चुनाव प्रचार के दौरान मोदी 56 इंच के सीना वाला बात कहने छलाह, समाजवादी पार्टी के अध्यक्ष मुलायम सिंह यादव पर हमला करैत , 'नेताजी कहते हैं कि मोदी जी उत्तर प्रदेश को दूसरा गुजरात नहीं बना सकते. आप सही कहते हैं, कि यूपी दूसरा गुजरात नहीं बन सकता क्योंकि गुजरात बनाने के लिए 56 इंच का सीना चाहिए.' एही के बाद सs राजनीति में एही जुमला कs खूब इस्तेमाल कैल गैल.
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।