सहरसा : डॉक्टर सभक हड़ताल पांचम दिन जारी, हड़ताल केँ समर्थन म' दबाई दोकान सेहो बंद

सहरसा। 17 अगस्त। शहर केँ डॉक्टर ब्रजेश कुमार सिंह सँ 25 लाख टक्का रंगदारी केर मांग, रंगदारी नै देला पर जान सँ मारबाक धमकी मामला म' डॉक्टर सभक हड़ताल आय पांचम दिन जारी अछि। जाहि कारण सँ जिलाक चिकित्सा व्यवसाय बुरी तरहे प्रभावित भेल अछि। मरीज सभक जान पर बैन गेल छैन्ह। निजी क्लिनिक व नर्सिंग होम सभ मेँ ताला लटकल अछि। सदर अस्पताल केँ ओपीडी सेहो बंद क' देल गेल।  मुदा  इमरजेंसी सेवा क' हड़ताल सँ मुक्त राखल गेल अछि, जाहि कारण मरीज सभक भीड़ लागल अछि।

आई.एम.ए केँ आह्वान पर आयोजित अनिश्चित कालीन हड़ताल क' इंडियन डेंटल एसोसिएशन, केमिस्ट एंड ड्रगिस्ट एसोसिएशन, पैथोलॉजी संघ सभक समर्थन सेहो प्राप्त अछि। जाहि कारण हड़ताल केँ व्यापक प्रभाव देखार द' रहल अछि। कैल्ह मंगलवार दिन सँ जिलाक तमाम थोक व खुदरा दवाई विक्रेता सेहो  अनिश्चित काल केँ लेल अप्पन प्रतिष्ठान बंद करबाक निर्णय लेलन्हि।

ओना शहर म' आपातकालीन स्थिति केँ लेल दुइ दवाई दोकान खुजल रखबाक निर्णय लेल गेल अछि। मरीज सभक जान बचबै बला डॉक्टर सभ अपना ऊपर देल गेल जान सँ मारबाक धमकी केँ बाद दहशत म' छैथ।  डॉक्टर सभक कहब छैन्ह कि रंगदारी व जान सँ मारबाक धमकी देबै बला अपराधि क' पुलिस एखन धरी गिरफ्तार करवा मेँ असफल छैथ। जाधरि डॉक्टर सभक पूरा सुरक्षा बहाल नै होयत ताधरि अनिश्चित कालीन  हड़ताल जारी रहत।

एहि मामला मेँ पुलिस द्वारा गांधी पथ के दुइ मोबाइल सीम विक्रेता राजीव रंजन व संतोष कुमार क' गिरफ्तार करि जेल भेजल गेल अछि। लेकिन डॉक्टर सभ असली अपराधी क' गिरफ्तार करबाक मांग क' रहल छैथ।

अपने केँ बता दी विगत 10 अगस्त दिन डॉ. ब्रजेश कुमार सिंह सँ 25 लाख टक्का केँ रंगदारी मांगल गेल छल आर नै देला पर जान सँ मारबाक धमकी देल गेल छल। एहि सँ पहिने अपराधी द्वारा 26 जुलाई क' डॉ. ब्रजेश कुमार सिंह केँ कार पर गोली चलाओल गेल छल। 8 फरवरी क' सेहो  डॉ. ब्रजेश कुमार सिंह व डॉ. आई.डी सिंह आर एक पैथोलॉजी संचालक सँ रंगदारी मांगल गेल छल। ओहियो समय डॉक्टर सभ हड़ताल केना छलाह।

हड़ताल म' आइएमए केँ अध्यक्ष डॉ. एसपी सिंह, सचिव डॉ. राकेश कुमार, डॉ. गोपाल शरण सिंह, डॉ. आईडी सिंह, डॉ. एसपी झा, डॉ. भुवन सिंह, डॉ. विजय शंकर, डॉ. किशोर कुमार, डॉ. अजय कुमार सिंह, डॉ. ब्रजेश सिंह, डॉ. आरआर सिंह, डॉ. वरुण कुमार, डॉ एसके अनुज, डॉ. अभिषेक राजा, डॉ. पी भाष्कर, डॉ. अफगान, बीसीडीए केँ अध्यक्ष हरिनंदन यादव, सचिव राघव सिंह, कैलाश पचेरिया, राज बाबू, टीपू झा, डॉ. अभिषेक सिंह आदि शामिल छला। एहि केँ अलावा फ्रेंड्स ऑफ आनंद के अध्यक्ष अजय कुमार बबलू, राजन आनंद, यूथ फोरम के कुंदन सम्राट आदि सभ हड़ताल केँ समर्थन केलन्हि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ