सहरसा। 30 अगस्त। कोसी प्रमंडल केँ आयुक्त कुंवर जंग बहादुर तीन स्कूल केँ हेडमास्टर क' निलंबित क देलन्हि। आयुक्त द्वारा जिला केँ महिषी प्रखंडक दुइ हाई स्कूल आ एक मिडिल स्कूल के हेडमास्टर क' निलंबित करबा सँ हड़कंप मचल अछि। अपने केँ बता दी कि पिछला एक पखवाड़ा पहिने आयुक्त कुंवर जंग बहादुर महिषी प्रखंड केँ आशो देवी प्यारे झा उच्च विद्यालय, प्रोजेक्ट उच्च् विद्यालय एवं उग्रतारा मध्य विद्यालय केँ औचक निरीक्षण केना छलाह। निरीक्षण केर क्रम म' एहि तीनों स्कूल म' पठन पाठन व अन्य शिक्षण काज सँ ओ असंतुष्ठ छलाह। जाहि फलस्वरूप आयुक्त कुंवर जंग बहादुर आशो देवी प्यारे झा उच्च् विद्यालय केँ प्रधानाध्यापक हरिश्चंद्र मिश्र, प्रोजेक्ट उच्च विद्यालय केँ प्रधानाध्यापक अनिल कुमार सिंह आर उग्रतारा मध्य विद्यालय केँ हेडमास्टर सुरेन्द्र झा केँ विरूद्ध कार्रवाई करैत तीनो केँ निलंबित क' देलन्हि। तीनों शिक्षक केँ निलंबन सँ पूरा जिला म' हडकंप मचल अछि।
सहरसा : कोसी प्रमंडल केँ आयुक्त कुंवर जंग बहादुर तीन स्कूल केँ हेडमास्टर क' निलंबित केलन्हि
जितमोहन झा (जितू)
0
जितमोहन झा (जितू)
हमर संक्षिप्त परिचय..
नाम: जितमोहन झा, घरक नाम "जितू"
जन्मतिथि ०२/०३/१९८५ भेल,
श्री बैद्यनाथ झा आ श्रीमति शांति देवी केँ सभ स छोट (द्वितीय) सुपूत्र।
स्व.रामेश्वर झा पितामह आ स्व.शोभाकांत झा मातृमह।
गाम-बनगाँव, सहरसा जिला। एखन मुम्बईमे एक लिमिटेड कंपनी में पद्स्थापित।रुचि : अध्ययन आ लेखन खास कs मैथिली ।
पसंद : हर मिथिलावासी के पसंद पान, माखन, और माछ हमरो पसंद अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।