दामाद स विवाह कय अप्पन माँ बनली शौतीन आ कोर्ट में केलैन्ह शादी आ पंचायत के एही मामला स कोनो एतराज नै.

मधेपुरा ०४ अगस्त:- प्यार ओ चीज अइछ जे इंसान के कोनो हद तक ल जा सकैत अइछ आ रिश्ताक् सेहो कोनो ख्याल नै राखल जाइत छैक.

एखन हाल में बिहार के मधेपुरा जिलाक पुरैनी गावँ में प्यारक एक अजीब मामला सामने ऑयल अइछ जाहि में एक सौस जे मे तुल्य होइत छैक ओ अपन जमाय यानि बेटीक पति स दिल लगा लेलैन्ह आ इ सिलसिला एतय नै रुकल एक डेग आर बढ़ी दुनु सास आ दामाद बियाह सेहो क लेलक.

जखन एही बात के पता बेटिबके लागल त ओ बेहोश भ गेली आ पंचायत के एही प्यार आ विवाह स कोनो शिकायत नै आ पंचायत अतेक प्रभावित भेलाह एही प्यार स दुनु के साथ रहै के अनुमति सेहो द देलैन्ह.
इ भले ही सुनै में अजीब लगैत हुए लेकिन इ पूरा सच अइछ मधेपुराक आशा देवी के अपन जमाय स मोहब्बत भ गेलैन्ह आ दुनु पूर्णिया केर कोर्ट में जा क विवाह कय लेलैन्ह आ बेटी सदमा में छैन्ह आ हुनका समझ में नै आबि रहल छैन्ह की जे माँ हुनकर घर बसेलकैन्ह वेह माँ हुनका उजारलकैन्ह कियेक.

एही पूरा मामला पर पंचायत कहलैन्ह जे सासु आ दामाद के अटूट प्यार छैन्ह ओहि लेल दुनु के साथ रहय देबाक चाही आ एही में किनको कोनो तरहक एतराज नै हेबाक चाही आ पंचायत के फैसला सुनी सास आ दामाद दुनु खुश छैथ.

केना पनपल प्यार सास आ दामाद के.

बेटी केर विवाह के किछु दिन बाद दामाद सूरज बीमार भ गेलाह आ जखन हुनक बीमार हेबाक सुचना भेटलैन्ह त सास दामाद के देखै लेल गेली आ दुनु के एक दोसर स प्यार भ गेलैन्ह अपन घर वापस एली त दुनु के प्यार एतेक मजबूत भ गेल रहै की रोज दुनु के घंटो घंटो एक दोसर स फोन पर बात हेबै लगलैन्ह.

दोसर तरफ बेटिक बाप के इ बात पचलैन्ह नै आ कहलखिन्ह जे हमर दामाद जखन हमर पत्नी स शादी क लेलाह त आब हुनका पास अपन बेटी के छोड़ै के की मतलब अइछ ओतय त हमर बेटी घुटी घुटी क मइर जेत.

कहल जाइत छैक जे प्यार में किछ सही आ किछ गलत नै होइत छै आ प्यार त प्यार होइत छै दुनिया के नजैर ने इ बात भले ही गलत होइ लेकिन प्यार में किछु गलत आ सही नै होइत अइछ.


Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने