हनीमून तक चलल सास आर दामाद केँ बियाह, आब दुनु चाहैत छैथ तलाक

मधेपुरा। 16 अगस्त। रिश्ता-नाता आर समाज केँ सभ मर्यादा तोड़ी केँ दामाद सँ बियाह कराइ बाली सास आब अप्पन कायल पर पछतायत छथि। दुनु केँ बियाह सिर्फ हनीमून तक चललैन। एकहि मास मेँ  प्यार केँ बुखार दुनु केँ माथ सँ उतैर गेलनि। आब दुनु तलाक चाहैत छैथ।  सास आशा देवी एखनो दामाद सूरज केँ घर म' रही रहल छथि आर अपन  पति केँ घर जाय लेल चाहैत छथि।

मधेपुरा जिला केँ मरुआही गामक 22 बरखक सूरज मेहता क' अप्पन 42 बरखक सास सँ प्यार भ' गेल छलैन्ह। दुनु अप्पन लव स्टोरी क' अंजाम दैत पिछला  7 जून क' कोर्ट मैरिज केलन्हि। पति क' छोइर  दामाद संग  एक मास रही अप्पन बेटीक घर उजाड़लाक बाद आशा देवी क' अप्पन गलती केँ अहसास भेलन्हि।

आशा देवी कहली कि ओ  सूरज क' अप्पन दामाद मानैत छथि आर तलाक लेल अर्जी  द' देना छथि। आब हम अप्पन पति केँ पास जाय लेल चाहैत छी। दामाद सूरज कहला कि हमरा सँ बहुत पैघ गलती भेल। हमरा अप्पन केवा पर पछतावा भ' रहल अछि। आशा देवी केँ सासू-मां केर रूप म' मानब  आर अपनी पत्नी केँ मना केँ  घर आनबाक कोशिश करब। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने