गया : इनार सँ पैनक जगह निकलल डीजल, प्रशासन म' मचल खलबली

गया। 22 अगस्त। गया जिला केँ रामपुर थाना क्षेत्रक गांगो बिगहा मोहल्ला म' एक इनार सँ पैनक जगह डीजल निकलबाक खबर मिलैते प्रशासन म' खलबली मैच गेल अछि। सदर एस.डी.ओ. विकास कुमार जायसवाल व रामपुर थाना केँ पुलिस द्वारा डीजल निकलबाक बात सही पाओल गेल अछि। प्रशासन द्वारा इनार केँ घेराबंदी करि इंडियन ऑयल कार्पोरेशन क' खबर द देल गेल अछि।

डीजल निकलबाक सूचना भेटैते जिला प्रशासन इनार केँ अपना कुआं सुरक्षा मेँ ल' लेल गेल। इनार के आस - पास पुलिसक जवान तैनात कायल गेल अछि, संगहि इनार सँ डीजल निकालबा पर रोक सेहो लगाओल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने