विषहरि गीत


विषहरि गीत
@@@@@@
नाग पंचमी के विषहरि दर्शन देल
राम दूध लावा संग हम हुनका पूजल -२
गहुमन धामन ढोंढ़ ओ हरहारा
राम सबके जे पूजन होय घरे घरा -२
धिया पुता जानि विषहर छमा करू
राम सब मिलि मानव के रक्षा करू -२
बिशुन भगवान केर शेष आसन
राम महादेव कैलिन माला धारण -२
कल जोड़ि आहे विषहरि मणि अछि ठाढ़
राम पुत्र जानि आब बेरा करियै पार ।।
- मणिकांत झा , दरभंगा
नागपंचमी , ०७-०८-१६ ।



एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ