सहरसा : डॉक्टर सेँ 25 लाख रंगदारी मांगै बला अपराधी गिरफ्तार, संतोष यादव उर्फ सूरज सम्राट डॉक्टर केँ गाड़ी पर गोली चलेना छला

सहरसा।  20 अगस्त।  डॉक्टर सेँ रंगदारी मांगबाक मामला म' गिरफ्तार संतोष यादव कैको खुलासा केलन्हि। किछ दिन पहिने डॉक्टर ब्रजेश कुमार सिंह केँ गाड़ी पर गोली संतोष यादव उर्फ सूरज सम्राट चलेना छलाह । संतोष यादव पुलिस केँ समक्ष गोली चलेबाक बात स्वीकार करैत कहला  कि नया बाजार स्थित आदित्य पैथोलाजी म' काज करै बला छोटू गाड़ी चलबैत छलाह आर ओ पाछा सेँ गोली चलेला। गोली जैन बुझी केँ गाड़ी पर चलाओल गेल ताकि डॉक्टर डरा केँ रंगदारी केँ 25 लाख टक्का द' दैथ।

एसडीपीओ सुबोध विश्वास कहला कि गिरफ्तार अपराधि सभ पहिने गोली चलेला ओकर बाद डॉक्टर केँ रंगदारी लेल फोन केला। मुदा डॉक्टर केँ फोन बंद छल। बाद मेँ संतोष यादव  डॉक्टर क' मैसेज करि रंगदारी केर मांग केला। लेकिन जखन हंगामा बढ़ी गेल आर पुलिस पुरनका सिम कार्ड जाहि सँ फरवरी मेँ डॉ. आईडी सिंह, डॉ. ब्रजेश सिंह व कोसी पैथोलाजी संचालक नवीन सिंह सँ रंगदारी मांगल गेल छल ओहि सिम कार्ड के आउटगोइंग बंद करा देलनि। पहिल सिम कार्ड बंद भेलाक बाद अपराधि सभ दोसर सिम कार्ड लेलनि आर फोन करि 25 लाख तक्का केँ रंगदारी मांगलनि।

संतोष यादव सँ बरामद सामान म' शहर केँ आधा दर्जन नामी डॉक्टर सभक नाम पर फोन नंबर केँ पर्ची भेटल। अपराधि सभक मनसा डॉ. ब्रजेश सँ रंगदारी वसूललाक बाद एहि सभ डॉक्टर सेँ वसूली करबाक छल। जानकारी अनुसार मोबाइल व कंप्यूटर केँ काफी जानकारी राखै बला संतोष यादव यदि पुलिस केँ हाथ नै लागतिये तेँ आबै बला दिन इ रंगदारी लेल फोन आबैत रहतिये।

पुलिस केँ अनुसार गिरफ्तार संतोष यादव काफी शातिर किस्म केँ अपराधी छैथ। ओना आज तक संतोष यादव केँ कुनु आपराधिक इतिहास नै छल। लेकिन एहि घटना म' जाहि प्रकार केँ तैयारी देखल गेल ओहि सँ बुझायल जे ओ बहुत शातिर छैथ।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ