
रेल मंत्री शुरेश प्रभु लोकसभा के प्रश्न कालक समय में कहलैन्ह इ हाई स्पीड ट्रेन परियोजना मुमकिन अइछ लेकिन एकर खर्च सेहो ज्यादा हेतै.
एही पर सबाल सेहो उठेल गेल की एही परियोजना के लेल बहुत फण्ड देल गेल अइछ जाहि स देश के दोसर हिस्साक परियोजना में बाधा भ सकैत अइछ एही पर शुरेश प्रभु कहलैन्ह जे हर राज्य के पहिने के तुलना में दुगुन्ना पैसा देल गेल अइछ.
बुलेट ट्रेन परियोजना पर 97636 करोड़ खर्च के अनुमान अइछ, मोदी सरकार हाई स्पीड रेल परियोजना के लेल जापान सं तकनिकी आ आर्थिक मदद ल रहल छैथ,जापानी इंटरनेशनल एजेंसी एही परियोजनाक पहिने अध्यन क चुकल छैथ आ अनुमानित लागत 97636 करोड़ आँकने छैथ आ एकर 81 फीसदी हिस्सा कर्ज के रूप में जापान देत.
रेल मंत्री शुरेश प्रभु बतेलैन्ह जे सेमी हाई स्पीड रेलक 9 कॉरिडोर के पहचान क चुकल अइछ इ कॉरिडोर अइछ दिल्ली सं चंडीगढ़, चेन्नई सं बैंग्लोर-मैसूर,दिल्ली सं कानपुर,नागपुर सं बिलासपुर,मुम्बई सं गोवा, मुम्बई सं अहमदाबाद,चेन्नई सं हैदराबाद आ नागपुर आ सिकंदराबाद शामिल अइछ.
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।