दरभंगा १४-०७-२०१६ मुखिया चुनाव में हारला के बाद कर्ज स मुक्त हेबाक लेल बनल चोर गिरोह के खुलासा केलैन्ह ए एस पी दिलनबाज अहमद, सरगना सहित चैर टा चोर के पकरल गेल आ संगहिं तिन टा मोटरसाइकिल सेहो बरामद भेल पकरैल चोर खुलासा केलैन्ह जे मुखिया चुनाव में बेसी कर्ज भ गेल छल ओहि लेल चोरी के अंजाम देनाइ शुरू केलोहं, बतेल जा रहल अइछ जे लहेरियासराय थाना छेत्र स्थित कोर्ट परिषर सं दू दिन पूर्व एक मोटरसाइकिल के चोरी भेल छल, ओकर तलाश में जुटल पुलिस के जानकारी भेलैन्ह जे ओ मोटरसाइकिल दरभंगा जिला के कमतौल में बिक्री भ रहल छै तखन पुलिस मब्बी ओपी प्रभारी के ग्राहक बना पठेलखिन्ह त ओहि मोटरसाइकिल के दाम ७००० टाका लगेल गेल ओ राशि दैत देरी मोटरसाइकिल द देल्कैंह तुरत पुलिस हुनका पकैर क थाना पर अंलैन्ह आ पूछताछ केलैन्ह त पता चलल जे हिनक सब के आर सहयोगी छैथ हिनक मदद स दू आदमी आर मधुबनी आ सीतामढ़ी स पकरेला.
मुखिया चुनाव में हारला के बाद कर्ज स मुक्त हेबाक लेल बनल चोर
Sanjeeb Kumar Jha
0
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।