'सुपर 30’ केँ होयत विस्तार, आब 10वीं कक्षा केँ विद्यार्थी सेहो होयत शामिल

पटना। 18 जुलाई। आईआईटी मेँ दाखिलाक लेल आयोजित जेईई परीक्षा मेँ शामिल होय बला गरीब विद्यार्थी सभ केँ सफलता दिएबाक उद्देश्य सँ बनल ‘सुपर 30’ केर भारी सफलता केँ बाद ऐहीकेँ संस्थापक आनंद कुमार आब ऐय बरख सेँ ‘सुपर 30’ केर विस्तार करे जे रहल छैथ। आब एहिमे एहेन विद्यार्थी सभ केँ शामिल कायल जायत जे 10वीं परीक्षा पास केना होयथ। ‘सुपर 30’ केँ मौजूदा कार्यक्रम मेँ एखन धरी12वीं पास विद्यार्थी केँ लेल जायत छल।


‘सुपर 30’ केँ लेल अल्प आर दीर्घकालिक योजना केँ बारे मेँ बतबैत आनंद कुमार कहला कि 12वीं पास विद्यार्थी सभ केँ पढ़ेबाक मौजूदा  कार्यक्रम केँ अलावा हम सब दुई बरखक एक नबका कार्यक्रम बना रहल छी जाहि मेँ  करीब 10-20 विद्यार्थी सभ केँ पढ़ेबाक योजना अछि। एहि बरख से ई योजना शुरू होयत।

वैश्विक रूप सेँ वाहवाही बटोईर चुकल ‘सुपर 30’ मेँ 30 विद्यार्थी क' लेल जायत अछि, आर एहि के अलावा नबका कार्यक्रम केँ तहत विद्यार्थि सभ केँ लेल जायत।  प्रतिष्ठित भारतीय प्रौद्योगिकी संस्थान मेँ दाखिला लेल आयोजित संयुक्त प्रवेश परीक्षा (जेईई) मेँ एहि बरख 30 विद्यार्थी मेँ 28 सफलता हासिल केना छलाह, जे 15 बरख पहिने ‘सुपर 30’ केँ स्थापना केँ बाद नव उपलब्धि अछि। आनंद कुमार कहला कि हुनक सब सँ पैघ आकांक्षा गरीब बच्चा केँ लेल आत्मनिर्भर मॉडल पर आधारित एक स्कूल केर स्थापना करब छैन्ह। आनंद कुमार कहला कि ‘सुपर 30’ केँ वेबसाइट पर डाउनलोड करबाक लेल योग्य लेक्चर एक टक्का मेँ उपलब्ध करेबाक योजना सेहो तैयार भ' रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ