अदालत राजेन्द्र कुमार सहित छह अन्य के 27 जुलाइ तक न्यायिक हिरासत में भेजला


नयी देल्ही । 14 जुलाई । देल्ही के मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल के पूर्व प्रधान सचिब राजेन्द्र कुमार संगहिं 6 अन्य के आई बिशेष अदालत 27 जुलाइ तक के लेल न्यायिक हिरासत में भेज देल गेलैन्ह हिनक सब के गिरफ्तारी भ्रस्टाचार के आरोप में भेलैन्ह, हिनक सब के गिरफ्तारी के आदेश तखन देलकैन्ह जखन सीबीआई कहलकैन्ह की आगू के जाँच के लेल हमरा आब हुनक सब के कोनो जरुरत नै अइछ।।
राजेंद्र कुमार अदालत में एक जमानत के अर्जी सेहो देलैन्ह आ कहलखिन्ह जे जाँच में आब हमर कोनो जरुरत नै अइछ,अदालत हुनक जमानत के अर्जी पर सीबीआई स जबाब मंगलैन्ह आ अगिला सुनबाई के तारीख 21 जुलाई केलैन्ह।।
बिशेस सीबीआई न्यायाधीश अरविन्द कुमार एजीएमयूटी कैडर के 1989 बैच के आईएस अधिकारी कुमार, केजरीबाल के कार्यालय में पूर्ब उपसचिब तरुण शर्मा, आ  कुमार के करीबी सहयोगी अशोक कुमार आ एक निजी कंपनी के मालिक संदीप कुमार आ दिनेश गुप्ता के सीबीआई हिरासत स अदालत के पेशी बाद जेल भेज देल गेलैन्ह.
अदालत आरएस कौशिक आ जी के नंदा के सेहो 27 जुलाई तक न्यायिक हिरासत में पठा देलैन्ह, कौशिक एक सार्बजनिक छेत्र के कंपनी के मौजूदा जखन की नंदा एही के पूर्ब प्रबंध निदेशक छैथ, हिनका अदालत में पेश करैत सीबीआई बतेलक की हिराशत में हिनक पूछताछ पूरा भ चुकल अइछ आ हिनका न्यायिक हिरासत में भेजल जे।।
   

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ