वाह रे मोहब्बत, दू मासूम बच्चा के माय बच्चा क' छोइर पकरली प्रेमी केर हाथ

मधुबनी। 29 जून। मधुबनी के झंझारपुर थाना क्षेत्र म' प्रेम-प्रसंगक एक अनोखा मामला सामना आयल अछि। दुई बच्चा ले माय अप्पन परिवारक सदस्य सभक बुझेलाक बादो अप्पन दुनु मासूम बच्चा के छोइर प्रेमी सँ पति बनल  शख्स के संग जेबाक फैसला केलीह आर चल गेली।

मधुबनी के झंझारपुर थाना क्षेत्र सँ 13 दिन पहिना प्रेमी संग भागल दुई बच्चाक माय खुद थाना पहुंचली आर थाना पहुंच के अप्पन दोसर बियाह करबाक जानकारी पुलिस क' देली।

थाना पहुँचल महि के माता-पिता आर पति केर लाख बुझेबाक कोशिश के बादो महिला नै मानली आर अप्पन दोसर पति संग रहबाक गप पर अरल रहली। महिला के सामना दुनु मासूम बच्चा सेहो आयल मुदा प्रेमक मोहजाल में फसल  महिला किनको गप नै मानली।

पुलिस के समक्ष हाजिर भेलाक बाद ओ अप्पन परिवार दुनु मासूम बच्चा के छोइर दोसर पति केर भाय संग चल देली। महिला केर  परिवारक लोग एहि मामला में प्रेमी पर जबरन फुसलेबाक आरोप लगेना अछि। लोग सभक बिच इ  मामला चर्चाक विषय बनल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ