दरभंगा। 15 जून। दरभंगा म' अपराधि सब द्वारा एक प्रॉपर्टी डीलर के गोली माइर् क' हत्या करबाक समाद आयल अछि। इ घटना ओपी क्षेत्र के माधोपुर-मखनाही गाछी के छी जाहिठाम प्रॉपर्टी डीलर हीरा पासवान केर गोली माइर् क' हत्या क' देल गेल अछि। प्रॉपर्टी डीलर हीरा पासवान क' एक गोली गर्दैन आर दोसर गोली पेट म' लागल छैन्ह। पुलिस क' घटनास्थल सँ 9 एमएम के तीन खोखा के अलावा मृतक केर बुलेट गाड़ी भेटल।
हीरा पासवान चक्का गांव के रहिवासी छलाह जे प्रॉपर्टी डीलिंग के अलावा हार्डवेयर आर बिस्किट सभक सेहो व्यवसाय करैत छलाह। घटना के विरोध म' तमसाएल लोगक भीड़ सड़क जाम कएलनि। तमसाएल लोगक भीड़ मब्बी-कमतौल एसएच आर एनएच 57 क' घंटों जाम क' पुलिस के खिलाफ नारेबाजी कएलनि। जामक सूचना पर पुलिस के साथ ओहि ठाम पहुँचल सदर एसडीपीओ दिलनवाज अहमद क' बहुत रास विरोधक सामना करे परिलनी।
बाद म' बहुत मशक्कत के बाद तमसाएल लोगक भीड़ क' हटाओल गेल। मृतक के पिता ज्ञानचंद्र क' आशंका छैन्ह कि कुनु बड़का नेता के इशारा पर एहि घटना क' अंजाम देल गेल अछि। सदर एसडीपीओ बजलाह कि पुलिस सभ बिंदु पर जांच क' रहल अछि आर हत्यारा सभ के जल्दे पकैर लेल जायत।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।