देहरादून। उत्तराखंड के कांग्रेस सरकार संकट में अछि । मुख्यमंत्री हरीश रावत कs खिलाफ नौ विधायकों शुक्रवार के बगावत कs देलक। बागि बिधायक के अगुआई क रहल वरिष्ठ कैबिनेट मंत्री डॉ. हरक सिंह रावत राज्य मंत्रिमंडल सs इस्तीफा द देला !
एही बीच शनिवार भोरे उत्तराखंड कs मुखमंत्री हरीश रावत, संसदीय कार्यमंत्री इंदिरा हृदेश आर विधानसभा अध्यक्ष जीएस कुंजवाल कs बीच बैठक चैल रहल अछि! एही बैठक के बाद ओ सब उत्तराखंड के राज्यपाल केके पॉल स मुलाकात करता।
ओम्हर, विद्रोही कांग्रेसी नेता कुंवर प्रणव सिंह चैंपियन कहला कि ओ कैल्हे राज्यपाल के बता देने छलाह, जे हुनका स्पीकर पर विश्वास नै छैन । पूर्व मुख्यमंत्री रमेश पोखरियाल निशंक कहला जे हरीश रावत के खुद सत्ता छोड़ देबक चाहि या इस्तीफा द देबाक चाहि या हुनका हटा देल जाइत ।
राज्य भाजपाक वरिष्ठ नेता डॉ रमेश पोखरियाल निशंक कहला, राज्य के मौजूदा सरकार अल्पमत में आबि गेल अछि । रावत सरकार के नैतिक तौर पर सत्ता में बनल रहबाक हक नै अछि । हुनकर कहब छल, जे यदि रावत सरकार के बर्खास्त नै काएल जाइत त एही के लेल भाजपा राष्ट्रपति के दरवाजा खटखटाएत ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।