छोरु
गौरवमय गाथा भूतकाल केर
आब
जीवू वर्तमानमे
जरल
जुन्ना जकाँ ऐँठल
देखैएमे
खाली
छुबैत
मातर जे छाउर बनि जए
जितैक
लेल मान दान आ प्रतिस्था
पाछू
जुनि,
देखू
आगूक
ओहो
तँ कियो छैक
जे
चानकेँ छुलक
तँ
हमहीँ कहिया धरि
चानक
पूजा करब
ओहो
तँ कियो छैक
जे
मंगलपर पेएर रखलक
तँ
हमहीँ कहिया धरि
मंगलकेँ
अमंगल मानि
काज
नहि करब
ओहो
तँ कियो छैक
जे
पाँतिक आगू चलैत छैक
तँ
हमहीँ कहिया धरि
झंडा
लऽ कऽ पाँतिक पाछू चलब
मानलहुँ
हमर भूत
बड़
नीक आ उत्तम छल
मुदा
वर्तमान किएक एहेन अछि
आबू
देखू, बैस कए सोचू
कि
सनेस हम अपन भविष्यकेँ देब ?
जँ रहलहुँ
चूप
हाथपर
हाथ धेने
तँ
ओकरा लग
कोनो
नीक भूतो नहि रहत
आ
जाकरा लग
वर्तमान
आ भूत दुनू शून्य
ओहि
लोकक
ओहि
संस्कृतिक
आ ओहि
समाजक लुप्त भेनाइ
अवस्यसम्भाविक
छैक
आब
अहीँ कहू
कि हम
सभ
हमर
सबहक संस्कृति
हमर
समाज, कि लुप्त भए जाएत ?
कि
लुप्त भए जाएत ?
कि लुप्त
भए .......
©
जगदानन्द झा ‘मनु’
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।