गजल@प्रभात राय भट्ट
गजल
सुन्दर शांत
मिथिला में मचल बबाल छै
जातपात
भेदभावक उठल सबाल छै
नहि जानी किएक
कियो करैय भेदभाव
सदभाव सृजना
केर उठल सबाल छै
मनुख केर मनुख
बुझैय छुतहा घैल
उंच नीच
छुवाछुतक उठल सबाल छै
डोम घर में
राम जी केनेछ्ल जलपान
ओहू पर कहियो
कोनो उठल सबाल छै
सबरी क जूठ
बैर सेहो खेलैथ राम जी
ओहू पर कहाँ
कहियो उठल सबाल छै
............वर्ण-१६..........
रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।