बाराति स' भरल बस दुर्घटनाग्रस्त, 8 आदमी के मृत्यु, 40 के करीब घायल


पटना : गौरीचक के कन्डाप लग सोमदिन राइत बाराति स' भरल एकटा बस पलैट गेल। एही घटना में  8 आदमी के मृत्यु भ' गेल जखन कि 40 के करीब घायल छैथ , जाहि में स' 4 के हालत गंभीर बनल अछि। घायल के इलाजक' लेल एनएमसीएच में भर्ती कराओल गेल अछि। 

मृतक में  टुनटुन केवट, सुमन केवट, सोनू केवट, लोधा केवट, सुरेश केवट, टिशू कुमार, सोनू केवट अछि. आठम मृत व्यक्ति के पहचान एखन तक नै भ सकल अछि। 

जानकारी के मुताबिक 52 सीट वाला बस में ऊपर- निचा मिलाक' 80 स' 85 लोक सवार छलाह। प्रत्यक्षदर्शि के मुताबिक बांध पर बन सड़क पर पहुंचतै चालक बस के रफ्तार बढ़ा देलक। ओहिके बाद ओवरटेक करैत आगा बढ़ी रहल छल , एही बीच एकाएक ओकर संतुलन ख़राब भ गेल आओर बस 25 फीट गड्ढा में जा खसल। 

मृतक के परिजन के चाइर - चाइर लाख रुपया मुआवजा देबाक' घोषणा पटना के डीएम कुमार रवि केएला।