पप्पू यादव केर नेतृत्व मे 'जाप' केलक चक्का जाम, 16 दिसम्बर क' बिहार बंद केँ एलान

पटना। 11 दिसम्बर। जन-अधिकार पार्टी केर संयोजक आओर मधेपुरा केर सांसद पप्पू यादव बिहारक मुखिया नीतीश कुमार पर खूब हमला केलनि। पप्पू यादव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क' धमकी भरल आवाज मे कहलनि कि मांग नहि मनला पर हुनकर पार्टी विधानसभा केर घेराव करत। सांसद पप्पू यादव 16 दिसम्बर क' बिहार बंद के सेहो एलान केलनि। 

पटना मे उग्र विरोध प्रदर्शन आओर रेलवे के चक्का जाम क' रहला पप्पू यादव कहलनि कि नीतीश कुमार संविदा कर्मी केर मांग नहि मानता तेँ हमरा सभक पार्टी मार्च महीना मे विधानसभा केर घेराव करि सदन मे सेहो घुसत। पप्पू यादव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क' ललकारैत कहलनि कि हिम्मत अछि तेँ जतेक गोली चलवा सकैत छी चलवा लेब।

पप्पू यादव सरकार पर निशाना साधैत मेडिकल माफिया पर तंज कसैत कहलनि कि बाइपास पर जतेक फर्जी नर्सिंग होम अछि, ऐही मे इंस्पेक्टर, गुंडा आओर सरकारक माफिया पैसा वसूली करबाक काज करैत अछि। दू  दिन धरी शव हॉस्पिटल मे पड़ल रहैत अछि आओर अस्पताल वाला माँ आ  बेटीक शव नहि दैत अछि।

पप्पू यादव आरोप लगेलनि कि बिहार मे स्वास्थ्यक स्थिति बेहाल अछि आओर सरकार संविदा एएनएम कर्मी सभकेँ बर्खास्त क' रहल अछि। आर-पारक लड़ाई केर मूड मे सांसद पप्पू यादव कहलनि कि पटना के राजेंद्र नगर स्टेशन पर ट्रेन जाम करि पार्टी संदेश द' रहल अछि।

अपने क' बता दी कि पप्पू यादव केर नेतृत्व मे जन-अधिकार पार्टी समान काजक बदला समान वेतन, दलित पर बढैत अत्याचार आओर परीक्षा मे भ' रहल धांधली केर खिलाफ कैल्हि रवि दिन पूरा बिहार मे रेल चक्का जाम केलनि। ऐही दौरान पैसेंजर ट्रेनक संगे - संग पटना कोटा एक्सप्रेस क' सेहो रोकल गेल छल।