बीजेपी विधायक 'आनंद भूषण' केर निधन पर विधानमंडल केर कार्यवाही कैल्हि धरिक लेल स्थगित

पटना। 30 नवम्बर। भभुआ विधानसभा क्षेत्र के बीजेपी विधायक आनंद भूषण पांडेय के आय बुध दिन दिल्ली के एक अस्पताल मे असमायिक निधन भ' गेलनि।  आनंद भूषण पांडेय 39 बरखक छलाह। भूषण पछिला बहुत दिनसँ गुर्दे केर बीमारी सँ ग्रस्त छलाह आओर हुनकर इलाज दिल्ली के एक अस्पताल मे होयत छैन्ह। 

पांडेय केर निधनक खबैर भेटलाक बाद विधानमंडल के दुनू सदन मे दिवंगत नेता क' श्रद्घांजलि देलाक बाद शीतकालीन सत्र केर कार्यवाही कैल्हि शुक्र दिन धरिक लेल स्थगित क' देल गेल।  

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार विधायक पांडेय केर निधन पर शोक व्यक्त केलनि। मुख्यमंत्री अप्पन शोक संदेश मे कहलनि कि आनंद भूषण एक मृदुभाषी राजनेता आ प्रसिद्घ समाजसेवी छलाह। हुनकर निधन सँ राजनीतिक आओर सामाजिक क्षेत्र मे अपूरणीय क्षति भेल अछि। 

अपने क' बता दी विधायक पांडेय मूल रूप सँ कैमूर जिलाक भगवानपुर के रहिवासी छलाह। ओ पहली बेर बीजेपी केर टिकट सँ भभुआ सीट से चुनाव लड़ल छला आओर विजयी भेल छला। हुनकर निधन पर सुशील मोदी, लालू प्रसाद समेत कैको नेता लोकनि शोक प्रकट केलनि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ