नीतीश सरकार के लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग केर मंत्री बिनोद नारायण झा द्वारा प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर जन्मदिन (17 सिंतबर) पर हुनका बधाई देल गेल छल। जाहिमे बिनोद नारायण झा, मंत्री "लोक सवास्थ्य अभियंतत्रण विभाग’ लिखल छल। एहि क' ल'क' प्रतिपक्ष केर नेता तेजस्वी यादव द्वारा ट्वीट पर हुनक खूब खिंचाई कायल गेल।
एहिसँ पहिने नरेंद्र मोदी सरकार म' स्वास्थ्य राज्यमंत्री अश्विनी चौबे सेहो जेपी क' श्रद्धांजलि देबाक समय गलती केना छलाह, जाहिक बाद सोशल मीडिया म' बहुत किरकिरी भेल छल। दुनिया भरी म' 14 सितंबर क' हिंदी दिवस केर रूप म' मनाओल जायत अछि आओर एहि दिन मोदी सरकार के मंत्री द्वारा श्रद्धांजलि लिखबाक गलती भेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।