पटना। 30 अगस्त। बिहार म' दारोगा केर बहालीक नियम बदैल गेल अछि। आब शारीरिक परीक्षा केर बजाए उम्मीदवार क' प्रारंभिक आओर मुख्य परीक्षा पहिने पास करे परतनि। मौजूदा व्यवस्था म' आवेदक क' शारीरिक परीक्षा पास करबाक बाद लिखित परीक्षा देबा पड़ैत छल। नवा व्यवस्था म' बहाली राज्य कर्मचारी चयन आयोग केर बदला पुलिस अवर सेवा आयोग केर माध्यम सँ होएत।
कैबिनेट द्वारा बिहार पुलिस मैनुअल म' संशोधन क' मंजूरी भेट गेल अछि। कैबिनेट विभाग केर प्रधान सचिव ब्रजेश मेहरोत्रा कहलनि कि बहाली के कुल पदक 1% राष्ट्रीय व अंतरराष्ट्रीय स्तर के खेलाड़ी सभक लेल आरक्षित होएत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।