पटना। 02 दिसम्बर। पटना हवाई अड्डा पर पुलिस कैल्ह शाम दुइ विदेशी नागरिक लग सँ करीब 1.20 करोड़ टक्का केँ पुरनका नोट बरामद केलन्हि। दुनु विदेशी नागरिक थाईलैंड के रहै बला बताओल जे रहल अछि।
पुलिस केँ एक अधिकारी कहला कि इंडिगो केँ फ्लाइट सँ आयल दुनु विदेशी युवक लग सँ करीब 1.20 करोड़ टक्का बरामद कायल गेल अछि। बरामद कायल गेल सभ नोट पुरनका 500 आर 1000 टक्का के अछि। फिलहाल आयकर विभाग केँ अधिकारी पटना हवाई अड्डा पहुंच मामला केँ छानबीन क' रहल अछि।
पुलिस दुनु युवक क' हिरासत म' ल' लेलन्हि अछि। प्राप्त सुचना केर मुताबिक़ हिरासत म' लेल गेल दुनु युवक एहि धनराशि क' बुद्धिस्ट संगठन सभ क' दान म' भेटल बता रहल छैथ। पुलिस केँ कहब अछि कि मामला के जांचक बादे स्थिति स्पष्ट भ' सकत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।