कैल्ह से दरभंगा म' मिथिला लोक उत्सव केर आयोजन, नेहरू स्टेडियम म' पूरा भेल तैयारी

दरभंगा। 16 दिसम्बर। मिथिलाक ह्दयस्थली दरभंगा म' कैल्ह शनिवार दिन सँ 2 दिवसीय मिथिला लोक उत्सव केर आयोजन पर्यटन विभाग दिस सँ होमे जे रहल अछि। जाहि लेल शहर के नेहरू स्टेडियम म' कार्यक्रम लेल अंतिम चरण केर व्यवस्था पूरा कायल जे रहल अछि। 

कार्यक्रम म' मुख्य रूप सँ कलाकार गायक आदित्य नारायण आर मुम्बई केर डांस ग्रुप काव्या शर्मा केर प्रस्तुतिक जलवा देखबाक लेल भेटत। संगहि मिथिला के दर्जनों प्रसिद्ध कलाकार कार्यक्रम म' अप्पन - अप्पन  प्रस्तुति केर माध्यम सँ मिथिलांचल के तमाम जिला सँ आबै बला दर्शक सभक मन मोहबाक कोशिश करता।

कार्यक्रम केर उद्घाटन नगर विकास एंव आवास विभाग केर मंत्री महेश्वर हजारी द्वारा कैल्ह शनिवार सांझ  4 बजे कायल जायत। कार्यक्रम म' गरिमायी उपस्थिति म' दरभंगा के सांसद कीर्ति आजाद, हुकुमदेव नारायण यादव, रामचन्द्र पासवान, सहित दर्जनों विधायक सहित नगर मेयर गौड़ी पासवान सेहो उपस्थित रहता। कार्यक्रम म' जिला अधिकारी चन्द्रशेखर सिंह के द्वारा स्वागत उद्बोधन के बाद रंगारंग कार्यक्रम केर शुभारंभ होयत। जाहि लेल नेहरू स्टेडियम म' लागल दर्जनों स्वास्थ्य विभाग, कृषि विभाग सहित दर्जनों विभाग केर दिस सँ आकर्षक स्टॉल सैज के तैयार अछि। 

कैल्ह शनिवार के सांझ 5: 35 बजे अनुपम मिश्रा दिस सँ मिथिला गौरव गान के बाद दर्जनों मिथिला के कलाकार द्वारा मिथिला लोक संगीत सहित लोक नृत्य, लोक पारंपरिक गीत, शिव तांडव एवं लोक नृत्य फिल्मी संगीत व नृत्य केर प्रस्तुति सँ  मिथिला के कोन - कोन सँ आयल दर्शक केर मन मोहता। मिथिला लोक उत्सव के दोसर दिन बहुभाषी कवि सम्मेलन सँ कार्यक्रम केर शुरूआत होकर आर राति 8 बजे पाश्व सिने गायक आदित्य नारायण व मुम्बई की डांस ग्रुप द्वारा संगीत केर रंगारंग कार्यक्रम होयत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ