सुपौल : गैस लदल ट्रक आर मारुति कार के बीच भीषण टक्कर म' कार सवार तीन लोगक मौत

सुपौल। 21 सितंबर। सुपौल म' आय भोर गैस लदल एक ट्रक आर मारुति कार के बीच भीषण टक्कर भेल। जाहि हादसा म' कार पर सवार तीन लोगक मौके पर मौत भ' गेलनि।

सूत्र सँ प्राप्त सुचना मुताबिक एक मृतक डॉक्टर बताओल जे रहल अछि। जे पूर्णिया सँ मधुबनी मारुति कार सँ अप्पन घर जायत छलाह। एहि दौरान भपटियाही थाना के एनएच- 57 पर पिपरा खुर्द लग कार हादसा केँ शिकार भ' गेलन्हि। डॉक्टर के संग कर म' सवार आन दुइ लोगक सेहो मौत भ' गेलन्हि। मृतक पहचान एखन धरी नै भेल अछि। पुलिस मामला केँ छानबीन क' रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने