पटना:-२४-०९-२०१६:-आब जनता त जनता पुलिस सेहो सुरक्षित नै छैथ, बेखौफ अपराधी शनि दिन पटना के फतुहा के पास पुलिसक एक अवर निरीक्षक के गोली मैर हत्या क देलक। मृतक ए एस आइ के लाश ऐन एच के बगल स बरामद भेल आ ओतय स हुनक मोटरसाइकिल सेहो बरामद भेल।पुलिस जाँच में जुटी गेल छैथ।बताएल जा रहल अइछ की हत्यारा ए एस आइ के सर्विस रिवॉल्वर सेहो साथ ल गेल। ए एस आइ के पहचान आर आर चौधरी कबरूप में कएल गेल मुदा कतय कार्यरत छलाह से एखन धरी पता नै लागल।पुलिस के संदेह अइछ की ऐ एस आइ के कतौ आर हत्या कय लाश ओतय फेकल गेल कियेकी घटनास्थल पर कतौ खून के धब्बा नै भेटल जाहि स पुलिस के संदेह आर गहरा गेल अइछ। शुरू में ए एस आइ के फतुहा थाना में तैनात हेबाक बात सामने आयल लेकिन फतुहा के पुलिस हुनका नै पहचैन पेल लेकिन इ पता लगेल जा रहल अइछ की ओ कतय पोस्टिंग छलाह।घटनास्थल स बरामद भेल मोटरसायकिल के रजिस्ट्रेशन नंबर अइछ बी आर २१जे ९२३३ आ ओहि मोटरसायकिल पर एक बैग सेहो छल जे पुलिस के कब्जा में अइछ।घटना के बाद स फतुहा फोरलेन स गुजरै बला में सनसनी फैलल अइछ आ गहन जांच सेहो शुरू क देल गेल अइछ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।