सहरसा : केन्द्रीय विद्यालय समेत सभ शिक्षण संस्थान म' याद करो कुर्बानी कार्यक्रम केँ आयोजन संपन्न भेल

सहरसा। 24 अगस्त। आजादी केँ 70वां वर्षगांठ केँ मौका पर मानव संसाधन विकास विभाग केँ निर्देश पर सभ शिक्षण संस्थान म' याद करो कुर्बानी कार्यक्रम केँ आयोजन संपन्न भेल।

केन्द्रीय विद्यालय, राजेन्द्र मिश्र महाविद्यालय, सर्वनारायण सिंह रामकुमार सिंह  महाविद्यालय  समेत सभ शिक्षण संस्थान म' एहि मैका पर समारोह आयोजित करि राष्ष्ट्रगीत केँ बाद क्विज, भाषण प्रतियोगिता आदि केँ आयोजन कायल गेल।

केन्द्रीय विद्यालय म' प्राचार्य असीमनाथ केँ अध्यक्षता म' कार्यक्रम आयोजित भेल। राष्ट्रीय गीत के बाद उपस्थित शिक्षक व छात्र सभ आजादी केँ आंदोलन म' कुर्बानी देनिहार रणबाकुंर सभ केँ याद कएलन्हि। एहि मौका पर डा. चन्द्रा, एसअली, आरपी गुप्ता, रमेन्द्र कुमार, एसएनयादव, एसके ठाकुर, केसीठाकुर, आरएन राघव, आशिफ जावेद, रुबी कुमारी, गरिमा गुप्ता, पूजा कुमारी आदि उपस्थित छलैथ।

राजेन्द्र मिश्र महाविद्यालय म' प्रो. प्रकाशचन्द्र खां केर अध्यक्षता म' कार्यक्रम आयोजित भेल। एहि मौका पर भाषण, क्विज, शतरंज, कैरम, पेंटिग्स आदि केँ आयोजनक बाद सभ सफल प्रतिभागि सभ केँ  बीच पुरस्कार वितरण कायल गेल। कार्यक्रम केँ मुख्य अतिथिक रुप म' डा. जेएनठाकुर, डा. विनय चौधरी, डा. अरुण खां, डा. अशोक कुमार झा, डा. ललित नारायण मिश्र, डा. विधानचन्द्र चौधरी, डा. मृणाल कुमार झा आदि उपस्थित छलाह।

सर्वनारायण सिंह  रामकुमार सिंह महाविद्यालय म' प्राचार्य डा. केएस ओझा केँ अध्यक्षता म' दौड़, भाषण प्रतियोगिता आदि केँ आयोजन भेल, एहि मौका पर मेजर परीक्षित सिंह समेत आन सभ शिक्षक व कर्मी उपस्थित छलाह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ