'प्रभु' केँ रेलक माया, समय सँ पहिने खुजल सहरसा-पटना राज्यरानी एक्सप्रेस

सहरसा। 10 अगस्त।  ट्रेन देरी सँ चलब आम बात अछि, समय पर चलब सेहो खास बात नै अछि। मुदा, ट्रेन यदि समय सँ पहिने खुजे तेँ? एहेन भेल   सहरसा स्टेशन पर। देरी सँ चैल रहल राज्यरानी एक्सप्रेस क' कैल्ह मंगलवार दिन उद्घोषणा केँ समय सँ आधा घंटा पहिने खोईल देल गेल। जाहि कारणे यात्रि सभ सहरसा स्टेशन पर खूब हंगामा केलन्हि।

सहरसा-पटना केँ बीच राज्यरानी एक्सप्रेस भोर सात बजे सहरसा स्टेशन सँ खुजैत अछि। वाशिंग पिट मेँ देरी केँ कारण भोर नौ बजे ट्रेन खुजबाक  घोषणा कायल गेल। मुदा भोर साढ़े आठ बजे ट्रेन खोईल देल गेल। बहुत यात्री गणक ट्रेन छूईट गेलन्हि। आक्रोशित यात्री हंगामा करे लगलाह।


सहरसा केँ नया बाजार निवासी अंजनी कुमार कहला कि ड्यूटी पर तैनात स्टेशन मास्टर आ पूछताछ कार्यालय मेँ ट्रेन केँ नौ बजे खुजबाक गप बताओल गेल। एहि कारण ओ  घर लौट गेलाह। भोर 8.32 बजे स्टेशन पहुंचला तेँ  राज्यरानी एक्सप्रेस खुइज चुकल छल। एसी चेयर कार केँ टिकट छलैन। हुनका पटना इलाजक लेल जेबाक छलैन। अंजनी कुमार  टिकट वापस करबे गेला तेँ रिफंड नै भेटबाक गप कही हुनका लौटा देल गेलन्हि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने