पटना ! 12 जुलाई ! बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रदेश में संभावित बाढ एवं अल्प वष्रापात सs उत्पन्न होए वाला स्थिति के समीक्षा करैत पूरा तैयारी ससमय करे के आदेश देला !
नितीश कुमार कहला कि सभी जिलाधिकारी अपना स्तर सs संबंधित विभागों के साथ बैठक कs सब तैयारी पूर्व में सुनिश्चित करी !
मुख्यमंत्री कहला कि आपदा के स्थिति सs निपटलेल बनायल गेल एसओपी के अनुसार कार्य करू, सब तैयारी पूर्व में कs लेल जाए ताकि लोग सब के समय पर मदद केएल जा सके
एही समीक्षात्मक बैठक में जल संसाधन रमंत्री राजीव रंजन सिंह उर्फ ललन सिंह, ग्रामीण कार्य मंत्री शैलेश कुमार, कृषि मंत्री रामेश्वर राय, लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण मंत्री कृष्णनन्दन प्रसाद वर्मा, आपदा प्रबंधन मंत्री चन्द्रशेखर, मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह, पुलिस महानिदेशक पी के ठाकुर, विकास आयुक्त शिशिर सिन्हा, कृषि उत्पादन आयुक्त विजय प्रकाश, गृह विभाग के प्रधान सचिव आमिर सुबहानी सहित अन्य विभागीय पदाधिकारी उपस्थित छलाह !
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।