पटना । 12 जुलाई । बिहार में शराबबंदी करे के बाद सीएम नीतीश दोसरो राज्य में एही के लागु करे में लागल चैथ, लेकिन खुद हुनके पार्टी के नेता शराबबंदी पर कतेक गंभीर अछि , एही के जबाब इन्टरनेट पर वायरल भेल एक वीडियो खोल कs राखी देलक !
एक वीडियो में जदयू के पूर्व विधायक ललनराम नै केवल बीयर गटेक रहल छैथ बल्कि नीतीश कुमार के शराबबंदी अभियान को बेफ़जूल सेहो बता रहल छैथ !
वीडियो में भेल बातचीत सs लगी रहल अछि कि पूर्व एमएलए ललन राम पिछला महीना भेल सीएम नीतीश के झारखंड दौरा के कार्यक्रम तय भेला के बाद शराब की दावत उड़ा रहल छैथ, ललन राम कुटुम्बा सs जदयू के विधायक छलैथ !
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।