मधुबनी। १३ जुलाई। रूद्र पूर थाना केर गौर गाऊँ में गुप्त सुचना के आधार पर भेल छापामारी में भारी मात्रा में देसी शराब पकरल गेल छापामारी में रूद्र पुर आंध्राठाढ़ी थाना पुलिस के अलाबा अवकारी बिभाग के श्री वीरेंदर मिश्रा ए एस आई सहित सेफ के जवांन सेहो रहैथी अंचलाधिकारी वीरेंदर मिश्रा बतौर दण्डाधिकारी रहैथ, रूद्र पुर थाना प्रभारी जानकारी देलैन्ह जे छापेमारी में करीब २० लीटर तैयार शराब आ करीब ८५ लीटर अर्धनिर्मित शराब जब्त कैल गेल संगहिं शराब तैयार करइ बला उपकरण सेहो जब्त केल गेल, छापेमारी के सदस्य के पहुँचिते देरी शराब बनबै बला कर्मचारी आ ओहि अड्डा के मालिक अप्पन अप्पन सामान आ उपकरण छोरी भागी गेला सब पर एफ आई आर दर्ज क क खोजवीन चैल रहल अइछ एही स साफ बुझना जा रहल अइछ जे तत्काल सरकार जे पूर्ण शराबबंदी के जे मुहीम चलेलैन्ह ओहि में पूर्ण सफल नई भेला।।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।