पोखरा (नेपाल) लेल दिल्ली सेँ सीधा बस सेवा शुरू भेल

दिल्ली। 12 जुलाई। आब अपने देशक राजधानी दिल्ली सँ नेपालक सभसेँ सुन्दर शहर पोखरा केर सैर बस सँ क' सकैत छी। कैल्ह सोम दिन दुनु देशक बीच शुरू भेल सीधा बस सेवा केर कारण ई संभव भेल अछि। एहिक लेल अपने क' भारतीय 22 सौ टक्का या 35 सौ नेपाली टक्का केर भुगतान करे परत।

अपने क' बता दी सोम दिन पोखरा सँ नई दिल्लीक लेल सीधा बस सेवा शुरू भ' गेल अछि। एहि बस सेवा केर शुरुआत नेपालक गृह मंत्री शक्ति बहादुर बस्नेत व नेपाल म' भारत केर राजदूत रणजीत रे द्वारा संयुक्त रुपे कायल गेल अछि।

2014 म' प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक  नेपाल यात्रा केर दौरान तत्कालीन नेपाली प्रधानमंत्री सुशील कोइराला के संग संयुक्त बस सेवा शुरू करबाक  करार पर हस्ताक्षर भेल छल। मुदा मधेश आन्दोलन आर ओहीसमय  नेपाल के संग सख्त होयत भारतक रिश्ता क' एहि केर विलम्बक कारण मानल जे सकैत अछि।

ई बस सेवा उतर प्रदेश परिवहन निगम आर नेपाल केर मॉडर्न इरा टूर एंड ट्रेवल्स प्रा. लिमिटेड द्वारा संयुक्त रूप सँ संचालित कायल जायत। एहि सेवा क' सुचारु रूप स' जारी रखबाक लेल आठ डिलक्स बस केर खेप लगाओल गेल अछि। चारि - चारि बस केर परिचालन दुनु दिस सँ कायल जायत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने