गजल-५७
साँच प्रेमक जीवन यात्रा अन्नत होएत छै
ऋतू सभ में प्रेम सतत बसंत होएत छै
प्रेमक पथ पर काँटों फुल बनि जाएत छै
दुश्मन भलें दुनिया प्रेम नै अंत होएत छै
एक दोसरक मर्म स्पर्शक नाम छै प्रेम
प्रीतम कें मर्मक आभास तुरंत होएत छै
प्रेम में दागा देब से सोचब नै कियो कहियो
प्रेमक नोर बनि अँगोर ज्वलंत होएत छै
वर्ण-१७
रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।